भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

प्रेम / गुंजनश्री

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:59, 5 मार्च 2017 का अवतरण (Sharda suman ने प्रेम / गुंजन श्री पर पुनर्निर्देश छोड़े बिना उसे प्रेम / गुंजनश्री पर स्थानांतरित कि...)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

स्नानागारक देबाल पर
टिकुली सन साटल
पानि सँ फूलल-फुलायल
लगैत छी अहाँ हमरा
जल-बिंदु सन छट-छट करैत
प्रेम मे फूलल-घुलल...

अहाँक प्रेम थिक
अध्यात्मक एक अजबारल अध्याय
मुदा हम चाहैत छी केवल काम
आगि नहि
आसक्ति मे जीबि रहल छी हम
ठीक ओहिना जेना
उर्वशीक खोईंछ मे रहनि
पुरुर्वाक जीवन