भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

राज करैए छांगुर / बुद्धिनाथ मिश्र

Kavita Kosh से
अनिल जनविजय (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 23:12, 15 जुलाई 2014 का अवतरण

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

पाँचो आंगुर काज करैए
राज करैए छांगुर
आर कते दिन चलत एना
पूछैए पाँचो आंगुर ।

कर्मक फल कहि-कहि कऽ
दुपहरिया मे डिबिया बारत
आनक कैल-धैल पर
कहिया धरि ई ओठगन पारत
बैसल लोक घोरत कहिया धरि
एना दूध मे माहुर !

देव-पितर द‍ऽ हमरा माथे
ल गेल बखरी अपने
लक्ष्मी औती कोन
अपाटी हाथे माला जपने

बौआ केर पौरुख तिलके धरि
भ जयता पुनि डांगर ।

कहिया धरि हमरे कनहा पर
रहत पुरान क मोटा
एक-एक क बिका रहल अछि
घर सँ थारी-लोटा

भागवत क उपदेश बौक सभ
बाँटय भरि-भरि आँजुर ।

(03 नवम्बर 2007)