भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

शेष अछि प्राण-रस / सुस्मिता पाठक

Kavita Kosh से
सशुल्क योगदानकर्ता २ (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 06:42, 7 जून 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुस्मिता पाठक |संग्रह= }} {{KKCatKavita‎}} {{KKCa...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

 
बन्न कोठलीमे
आदमी निर्विघ्न सूतैत छि
बन्न कोठली साक्षी अछि
जे बच्चा रहि-रहि कनैत अछि

बन्न कोठलीमे
रहरहाँ बजैत अछि चूड़ी
बन्न कोठली नपैत अछि
प्रतिदिन अनेक मीलक दूरी

बन्न कोठलीक
सपना थिक महँक
आ ताहि पर
हावी अछि दारू

बन्न कोठली
राति भरि कनैत अछि
बन्न कोठलीमे फड़फड़ाइत अछि हजारो पृष्ठ
गढ़ैत अछि प्रतिदिन
एकटा नव इतिहास

बन्न कोठलीमे घुटन अछि
चीत्कार अछि
उत्तेजना अछि
मुदा अखनो बचल थोड़ेक आस अछि
आ बन्न कोठलीमे
अखनो शेष अछि प्राण-रस
शेष अछि
खिड़की खोलि लेबाक
विश्वास।