भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बोली बाजव / एस. मनोज

Kavita Kosh से
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

करै कबूतर गुटरगूँ
चिड़ै छै चहकै चूँ चूँ चूँ
कौआक बाजब काँव काँव
बिलाड़क बाजब म्याऊँ म्याऊँ
मोर करै अछि कें कें कें
सूआ बजैत अछि टें टें टें
भेड़क बाजब भें भें भें
बकरीक बाजब में में में
हाथी त' चिग्घाड़ैत अछि
झिंगुर त' झंकारैत अछि
बतास चलैत अछि सन सन सन
चूड़ी बाजै खन खन खन