Last modified on 1 जुलाई 2014, at 23:24

कहमा सऽ एलै संगीतबा बर रे बरिअतिया / मैथिली लोकगीत

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

कहमा सऽ एलै संगीतबा बर रे बरिअतिया
रओ कीये छिऐ बरबा के नाम
कहमा मे जाकऽ संगीतबा मरबा बन्हेतै
रओ केये ओकरा करतै कन्यादान?
अवध सऽ एलै परेमियां बर रे बरिअतिया
रओ बरबा के नाम छिऐ राम
मिथिला मे जाकऽ परेमियां मरबा बन्हेतै
जनक राजा करतै कन्यादान।