Last modified on 1 जुलाई 2014, at 19:38

सामा फेरलो ने जाय / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 19:38, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=ऋतू ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

सामा फेरलो ने जाय
गे माइ कोना कऽ
कथी केर नाव नवेरिया
कथी करुआरि
कथीए चढ़ि हमर भइया
जयता ससुरारि
सामा फेरलो ने जाइ
गे माइ कोना कऽ
सोना केर नाव नवेरिया
रूपे करुआरि
ताहि चढ़ि हमर भइया
जयता ससुरारि
कथी केर नाव नवेरिया
कथी करुआरि
कथी चढ़ि चुगिला भरुआ
जयता भनसारि
काठ केर नाव नवेरिया
बांसे करुआरि
ताही चढ़ि चुगिला भरुआ
जयता भनसारि
सामा फेरलो ने जाय
गे माइ कोना कऽ