Last modified on 2 जुलाई 2014, at 13:05

आजु चतुर्थीक शुभ अवसर थिक / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:05, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=विवि...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आजु चतुर्थीक शुभ अवसर थिक
गौरी दाइ चमकै छथि कोना
चमकि - चमकि जे काज करै छथि
बाजै छनि गहना
गौरी दाइ चमकै छथि कोना
लाल नूआ जे पहिरन छनि
ताहि लागल फुदना
गौरी दाइ चमकै छथि कोना
कारा पहिरथि, छारा पहिरथि, ताहि लागल घुँघरू
छमकि-छमकि गौरी टहल करै छथि, झमकै छनि गहना
गौरी दाइ चमकै छथि कोना
प्राणनाथ पलंगे पर बैसल, मोहर देल मुँह बजना
तोड़ि-तोड़ि मोहर के फेकल, करय लागलि बहन्ना
गौरी दाइ चमकै छथि कोना
आजु सुमंगल दिन, गौरी दाइ चमकै छथि कोना