भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

बचलाहा / दीपा मिश्रा

Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:40, 18 जुलाई 2023 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCa...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

रातुक बचल सोहारीमे
बड़ सुआद होइए
माछक पुच्छी
सबसँ नीक
आमक आंठी त' दिव्य
बेसी कहाँ सरल छैक
कनेक बना लिए
बंबई आम थिक
फेकब कोना
नीक लागत
रसगुल्लाक रस
दहीक घोरमे मिला दियौ
नहियो बचल
त' कोनो बात नै
खेनाइ पहिने
पुरुष नेना सब खायत
थाड़ी कथी ले दोसर लेब
एहिमे खा लिए ने
देखू कतेक चीज
छोड़ने छथि
दुइर कथी ले करब
आइंठ खाइत
आंठी चोभैत
दहीक घोर पीबैत
कियाक नै ओ सोचलक
बासी बचल सोहारी
तरकारी
दुइर होइत समान
सब एके गोटाक उदरमे
परिवारमे जाइत छल
की कहियो एहि लेल
सोचल गेल जे भोज भातमे
पुरुष किया पहिने?
कियाक ने संगे ?
कियाक ने स्त्री पहिने?
बात छोट छिन अछि
किंतु एतय दोषी स्वयं स्त्री
अपन बेटी पुतोहुके
सिखेबे ने केलैन जे
खराब चीजकेँ
फेक देबाक चाही
बसिया सब लेल बसिया
अधिकार मांगल नै जाइत छैक
अधिकार अर्जित करय पड़त
अपना आपकेँ सेहो
ओतबे इज्जत दी
ओतबे मान दी
नहि त बासी आ ताजाक भेद
जीह सेहो बिसरि जायत
आर अहाँ इहा कहैत रहब
जे बासी सोहारी
बड़ सुअदगर