Last modified on 18 जुलाई 2023, at 17:15

बेटी नहि कानत / दीपा मिश्रा

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:15, 18 जुलाई 2023 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दीपा मिश्रा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCa...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

जहिया सासुर
पुतोहुक परीक्षा
लेब छोड़ि देत
कोनो बेटी
विदा होएबा काल
नहि कानत
घोघ केने
दीप पर चलब
माछ काटब
हरदि चूड़ब
कोहबर नीपब
तिलकोर मोड़ब
भुजिया काटब
घैट फेंटब
भात पसायब
आगि पजारब
धान कूटब
किछु नै सिखाओल
गेल अहाँके नैहरमे?
एहेन प्रश्ने कियाक?
हँसब बाजब पहिरब
सुतब उठब सब लेल
एतेक नियम कियाक?
साँस लिए दियौ
स्वेच्छासँ ओकरा
अपन जीवन
जीबाक अधिकार
जहिया भेटऽ लागत
बेटी नै कानत
नैहर सासुरक
अंतर जहिया
मिटी जायत
बेटी नै कानत!