Last modified on 24 मार्च 2014, at 12:51

स्वीकार / मन्त्रेश्वर झा

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:51, 24 मार्च 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=मन्त्रेश्वर झा |अनुवादक= |संग्रह=...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

पौतीमे बन्द नहि होइछ चन्द्रमा
बन्द होइछ मात्र अन्हार
ने तरेगण के बीछि राखल जा सकैछ लॉकर मे
लॉकर मे बन्द तरेगन भऽ जाइछ
केवल पाथर के पथार
कामनाक सीता कतबो होथि
शुभक, सुन्दरि
स्वर्णमृगक शिकार करबाक प्रयास
रामोक लेल भ्रम छल
आकाश मे लगबैत रहलहुँ उद्यान
बनबैत रहलहुँ मचान
करैत रहलहुँ केवल सुखेक टा खेती
दुख के बहटारि।
फुलडाली मे जमा
होइत रहल केवल मुरझायल
सुखायल फूल
आ हरियर दमगर काँट
हे प्रभु, ई कोन थिक माया अहाँक
पूजा, अराधना, विद्या, वैभव कि ज्ञान
बढ़बैत रहल सुरसा भ्रम आ फरसा अभिमान
सुख दुख सँ मोक्षक तकैत रहलहुँ प्रतिकार
ने बुझलहुँ दंडवत समर्पण
ने कयलहुँ संपूर्णकें स्वीकार।