Last modified on 24 मार्च 2014, at 14:39

नयका हितोपदेश / मन्त्रेश्वर झा

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:39, 24 मार्च 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=मन्त्रेश्वर झा |अनुवादक= |संग्रह=...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

खाउ, खाउ खाउ
जेना तेना खाउ
जकर तकर खाउ
खायबे तऽ जीवन छी
फूसि फासि खाउ
ठूसि ठासि खाउ
देखब कतौ हुसब नहि
लूटि पाटि खाउ,
यैह युगधर्म छी
एकरे गुण गाउ,
झंडा हो अंडा हो
जत्ते हथकंडा हो
सभ किछु अजमाउ,
हेहरपन थेथरपन
जतबा हो छुतहरपन
पावर लग भजाउ
खाउ खाउ खाउ
जकर तकर खाउ
जेना तेना खाउ
नाक दाबि कान मूनि
जते जे पचाउ
आँखि मे बचल पानि
स्वयं घोटि जाउ,
पढ़ब लिखब व्यर्थ छी
पढुआ के पढ़ाउ,
भरुआ बनि पावर के लत्ती
बनि जाउ,
विरोधी केँ छोडू़ नहि
लुत्ती बनि जाउ,
कमाउ कमाउ कमाउ,
पटाउ पटाउ पटाउ,
खाउ खाउ खाउ,
बिकाउ बिकाउ बिकाउ
बनाउ बनाउ बनाउ
गायब तऽ गाउ
जय जयकार गाउ
नहि तऽ मिमिआउ,
हाथ काटि आउ,
माथ के झुकाउ
केओ लतिबाअय तऽ
लट्टू बनि जाउ,
टट्टू बनि जाउ,
कौआ बनि जाउ
सभकेँ फुसिआउ,
ककरो कुकुर बिलाड़ि बनि
हड्डी लऽ जाउ
गड्डी लऽ पड़ाउ
पाप कें पचाउ
बाप कें चिबाउ
जाति केँ नचाउ
यैह नव हितोपदेश
आर की सुनाउ।