Last modified on 16 जुलाई 2014, at 17:26

भोरे भोर / यात्री

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:26, 16 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=यात्री |अनुवादक= |संग्रह=पत्रहीन ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

भोर भोर
आएल छी बूलि
भोरे भोर अएल छी धङि
क’ आएल छी अनुभव
पुलकित होइत छइ रोम रोम
स्पर्शक प्रतापेँ कोना कोना
भोर भोर
पैरक दुहू तरबाह ग‘ह ग‘ह द’ने
आएल छी पोबि
माधो आकाशक हेमाल ओस
भोर भोर
आएल छी बूलि
दुबिआही लॉनमेँ