Last modified on 13 अगस्त 2014, at 18:15

नोर / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:15, 13 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हंसलहुँ एक बेर जीवन मे, बेरि - बेरि कनैत रहल छी
बसलहुँ एक बेर जीवन मे, फेर - फेर उजड़ैत रहल छी

चलि - चलि भटकि - भटकि कऽ कखनो,
कखनो कऽ हम दौड़ि रहल छी
एक बुन्न जीवन क लेल
मरि - मरि कऽ मरू मे बौड़ि रहल छी
अपन मोन केॅ उघबा कऽ आनक तन केॅ उछहैत रहल छी

एक - एक सायक क चोट केॅ,
गुनि - गुनि छोट ध्यान नहिं देलहुँ
बड़ कचोट चालनिक रूप मे,
देखि - देखि चुप्पे रहि गेलहुँ ।
ठोप - ठोप चारक चुआठ केॅ आँगुर सँ उपछैत रहल छी

शिल्पक छाॅछ कल्पना मूड़ा
भावक दही विचारक चूड़ा
आनलक जे बेगाड़ भूख मे,
पाबि रहल अछि खुद्दी गूड़ा
नवनीतक अछि लूट मुँदा हम छाॅछी छोरक लैत रहल छी