Last modified on 20 अगस्त 2014, at 17:24

अध्यापक / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:24, 20 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

1
हम अध्यापक छी अध्यापक।
हम मटोमाट, हम बड़ व्यापक॥
हम ‘‘अइउण ऋलूक’’ रटल जखन,
कप्पार दरिद्रा सटल तखन।
दश वर्ष परश्रिम कैला पर-
दश टका भेटै, ई फल पापक॥
हम अध्यापक॥
2
‘‘एकः शब्द सम्य ज्ञातः’’
पढ़िकै सन्तोष करो मातः।
एही सँ निश्चय हैत नश-,
दैहिक, दैविक, भौतिक तापक॥
हम अध्यापक॥
3
फल में फल चानन ठोप करी,
अव्यय में सुप् केर लोप करी।
नहीं जग केँ रहलइ आब काज
‘‘ङीपक’’ वा ‘‘अजाद्यतष्टाषक’’॥
हम अध्यापक॥
4
‘‘कारक’’ बड़का भयकारक अछि,
‘‘तद्धित’’ तँ हृदय बिदारक अछि।
तकरा हम रटलहुँ भोंट फाड़ि-
पुनि काज पड़ै दोजक नापक॥
हम अध्यापक॥