Last modified on 5 अगस्त 2015, at 11:12

आश्वासन / राजकमल चौधरी

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:12, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

बताह अछि पवन
चारूकात पसरल अछि करुणाक भय-क्रन्दन
थरथर सभ फूल-पात
भयातुर अछि प्रकृति-गात
की हयत, कतय लय जायत ई बिहाड़ि, अछि किछ ने ज्ञात
बताह अछि उनचासो पवन
कँपइए नँगटे महावन

तइयो, एहि अन्धड़मे
जीवनक पथ बीहड़मे
दुविधाक झोंक, असुविधाक झाड़, विविधा झाँखड़मे
होइए ई विश्वास
होइए आत्मामे एतबा आभास
जय जायत सभ किछ शान्त
विद्रोहक उपरान्त
हर्षे उत्फुल्ल होयत जे अछि एखन क्लान्त
बिहुँसत नवजीवन

सुकुसुमकलिकाक वस्त्रमे सलाजेँ मुस्कायत महावन
देखइ छी, नवनिर्माणमे असंख्य जन लागल छथि
देखइ छी, गाम घरक लोक सभ जागल छथि
तइँ, होइए आश्वासन
जे नन्दनकाननहुँ सँ बेसी सुन्दर बनत अपन महावन