Last modified on 8 अगस्त 2016, at 02:13

तितली दाइ / रामदेव झा

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 02:13, 8 अगस्त 2016 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=रामदेव झा |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatBaalK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

तितली दाइ हे तितली दाइ
फूले सब पर उड़ि उड़ि जाइ।
पुनि फूले पर बैसी जाय
फूलक रस पिबि मन न अघाय।
रंग-विरंगक सुन्दर पाँखि
देखै लय दोड़ै अछि आँखि।
लाल पियर चितकबरा रंग
कारी धारी बुनका संग।
अँह बैसब, हम पहुँचब दौड़ि
पकड़ब नहि, बस करब खेलौड़ि।
अहाँ बहिन छी, हम छी भाइ
भाइ-बहिन मे किए लड़ाइ।
तितली दाइ हे तितली दाइ
फूले सब पर उड़ि उड़ि जाइ।