Last modified on 5 मार्च 2017, at 12:35

जनता / गुंजनश्री

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:35, 5 मार्च 2017 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=गुंजन श्री |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KKCatMai...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

पसरल छैक चारुभर
नितुआन सन
आ कखनो क' दैत छैक हा'क
अनचोके में कर' लगैत छैक
आसमर्द,

मुदा कहाँ कियो
अकानय छैक
ओकर निष्प्राण भेल अवाज मे
पझायल सन बुत्ता के।

बजै छलै कियो
चौबटिया पर ठाढ़ भ'
"मेरा भारत महान"

साँच आकी झूठ
से जानथि भगवान।