1,714 bytes added,
17:11, 22 अप्रैल 2015 {{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=नरेश कुमार विकल
|संग्रह=अरिपन / नरेश कुमार विकल
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
{{KKCatGeet}}
<poem>
करू ककरा पर श्रृंगार
हमर मनुहार कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?
कुसुमित द्रुमदल सजल अनल मे
प्रकृति में उद्गार कतऽ अछि ?
करू ककरा पर श्रृंगार
हमर मनुहार कतऽ अछि ?
लज्जा सँ कयने बन्द कुंज
दृग, हमर जीवन संघात बनल
कुसुमेषु कोप सँ कानि रहल
अछि कुसुम किए पाषाण बनल।
विकल भृंग, खग हेरि रहल अछि
देव ! हमर आगार कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?
जेहि वाचा कें शत् कोटिपूत
ओ कानि रहलि बहबैत नोर
एक बेरे भव पुनि दृग फेरथु
अछि गीत हमर पाड़ैत सोर।
नव पल्लव पर सन्देश कतऽ
कोइली कह रे बाहर कतऽ अछि ?
हृदय अछि पछबा सँ विक्षिप्त
वसन्त उपहार कतऽ अछि ?
</poem>