Changes

डहकन / शिव कुमार झा 'टिल्लू'

1,500 bytes added, 12:54, 19 दिसम्बर 2015
'{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू' |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया
{{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=शिव कुमार झा 'टिल्लू'
|अनुवादक=
|संग्रह=
}}
{{KKCatKavita}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
<poem>तिलक लाख एगारह समधि तैयो नहि संतोख औ
एक पसेरीक छागर संगहि रसगुल्ला भरिपोख औ
नमरल धोधि कदीमा सनक दाँत केहेन छनि चोख औ
माइक दूधछोड़ल सोइरी सन बेटा चाटथि मोख औ
सात पिरहीके कृत्त उघारब तैयो ने लागत दोख औ
गछने छल हीरा केर अभरन ठकि लेलक निहसोख औ
काटर टकाकेँ बैंक दबेलहुँ की समधिनकेँ फेर कोखि औ
जेठक लकलक पीठ सतरिया की रस लेलकनि सोखि औ
बडकी समधिन हाहिक मारल ताकथि पोरगर लोक औ
टोलक सभटा बहसल छौड़ा ओगरनि हुनकर मोख औ
अठारह कैरेटके लॉकेट अनलहुँ कोनो ने धरिधोख औ
गारि सुन' मे किये लगै अछि दुन्नू भीत पर जोंक औ</poem>
Delete, Mover, Protect, Reupload, Uploader
2,956
edits