दोरिक के दलान पर बैठ कए, कुल छौंड़ा उमताय रहल
सच कहै छियॅ मुखिया जी, गाँव मे आगि लगा रहल छ’
कहि रहल छ’, अक्सा-बक्सा भोट-भाट के मारॅ गोली
अगर खेलना छॅ तॅ खेल’, असली लाल रंग सें होली
जात-पात के भूत भगा कए, कुल के एक बनाय रहल छ’
मजदूर किसान गरीब-गुरबा-कुल के गीत गबबा रहल छ’
जेहाद छेड़ रहल छॅ जुलुम के खिलाफ नोटिश छपबा रहल छ’
सब तॅ सब, धनमा के बेटा सबसें अधिक धधाय रहल छ’
हम कहि रहल छिय’, सुनि लेॅ हमरा जे की सुझि रहल छ’
थाना कोट कचहरी अफसर, केकरौ नै किछु बूझि रहल छ’
भाषण दए कए गरम-गरम ऊ, कुल के खून खौलाय रहल छ’
हाथ मे छॅ राइफल सिपाही टुकुर-टुकुर देख रहल छ’
की कारण छ’, सब कियो चुप छॅ काहे घुटना टेक रहल छ’
अब मुकिश्ल छॅ रुकना-झुकना, क्रान्तिक बिगुल बजाय रहल छ’