1,125 bytes added,
18:43, 22 अप्रैल 2015 {{KKGlobal}}
{{KKRachna
|रचनाकार=नरेश कुमार विकल
|संग्रह=अरिपन / नरेश कुमार विकल
}}
{{KKCatMaithiliRachna}}
{{KKCatGeet}}
<poem>
हमरा चाही ने शरद्क इजोरिया
चान तोरा सँ झरकी बरैये।
सोर पारैये सांझ कारी-कारी
बाट ककरो किऐ हम निहारी ?
सुधि आबय ने किये कनेको
मोन जानी ने किए लगैये।
राति पसरल चतुर्दिक अन्हरिया
नीन्न भागल उगल तीन डोरिया
नीक लागैये एकसरि हमरा
मोन रहि-रहि कऽ की-की करैये।
आब गुमसुम रहैये कंगना
चान उतरब ने कहियो अंगना
नोर आंखिक आंखिए रहैये
बिन बजौने किऐ क्यो अबैयै।
</poem>