Last modified on 27 सितम्बर 2013, at 14:37

हमरो गौरी छथि बड सह लोलि / मैथिली

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:37, 27 सितम्बर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |रचनाकार=अज्ञात }} {{KKLokGeetBhaashaSoochi |भाषा=मैथिली }} ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

हमरो गौरी छ्ती बड सह लोलि
कोनाक पिस थिन भाँगक गोलि,
हातोमे परिगेलैन लोढाके ठेला कि मोर गौरी रहती कोना

नहिरा मे खाथिन गौरी खोआ दुध, मिश्री
ससुरा मे भाँग धतुर , कि गौरी मोर रहती कोना

नहिरा मे पहिरथिन गौरी लहँगा औ सारि
ससुरा मे मृगके छाला , कि गौरी मोर रहती कोना

नहिरा मे ओढती गौरि, साला दोसाला
ससुरा मे बाघक छाला, कि गौरी मोर रहती कोना