Last modified on 27 सितम्बर 2013, at 14:59

डमरु बजाक मन मोही लेलकै / मैथिली

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:59, 27 सितम्बर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |रचनाकार=अज्ञात }} {{KKLokGeetBhaashaSoochi |भाषा=मैथिली }} ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

   ♦   रचनाकार: अज्ञात

डमरु बजाक मन मोही लेलकै, गौरी के सजनमा
दौरी दौरी गौरी आसनी आन गेली
मृग के छाला ओछालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...

दौरी दौरी गौरी तेल आन गेली
अँगोमे भस्म रमालेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...

दौरी दौरी गौरी माखन आन गेली
भाँगके गोला चिबा लेलकै, गौरी के सजनमा
डमरु बजाक मन...