भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कादम्बरी / पृष्ठ 118 / दामोदर झा

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 15:17, 31 अक्टूबर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दामोदर झा |अनुवादक= |संग्रह=कादम्...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

1.
चन्द्रापीड़क मित्र नाश कय अति चिन्तित भय गेले
ततय महाश्वेता निशि वासर सोचथि लज्जित भेले।
अओता राजकुमार कथा सबटा तँ सुनबै करता
की कहि धैर्य देब हुनका ओ हमरो धैरज हरता॥

2.
कादम्बरी एतय अवसरपर ताहि दिवस जँ रहितय
हमतँ रहब अवाक लाजसँ ओ हुनका समुझबितय।
एतबा सोचि तरलिका मुहसँ ई संवाद पठओलनि
आउ अहाँ जल्दी उत्कण्ठित मन अछि बात बनओलनि॥

3.
कहि संवाद तरलिका गेलै ई उल्लासित भेले
छली बहाना तकिते भेटलनि मारग जयबा लेले।
पहिनहि कहने छलनि पत्रलेखा केयूरक हिनका
चन्द्रापीड़ सभय ई कहलनि मोने हेतनि तनिका॥