Last modified on 31 अक्टूबर 2013, at 15:30

कादम्बरी / पृष्ठ 140 / दामोदर झा

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 15:30, 31 अक्टूबर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=दामोदर झा |अनुवादक= |संग्रह=कादम्...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

1.
हमर चरित वर्णन कयलनि जाबालि महामुनि
पूर्व जन्म केर सब किछु सुमिरन कयलहुँ से सुनि।
दुहु जन्मक सब ज्ञान हृदयमे आश्रय लेले
जे जे विद्या पढ़ने छलहुँ प्रकट सब भेले॥

2.
पिता श्वेतकेतुक प्रिय पुत्र छलहुँ हम पहिने
पुण्डरीक छल नाम इन्दिरा माता तेहने।
औखन अछि ओ देह चन्द्र मण्डलमे राखल
प्रिया महाश्वेता लय हुनक अमृतसँ माखल॥

3.
शुकनासक सुत तखन छलहुँ वैशम्पायन भय
उत्सुक रहलहुँ चन्द्रापीड़क अवलोकन लय।
उत्सुक रहलहुँ चन्द्रापीड़क अवलोकन लय।
आब बनल छी शुक तिर्यकतनु हाथो नहि अछि
भूतलमे क्यो हमरा जकाँ अनाथो नहि अछि॥