Last modified on 27 दिसम्बर 2013, at 13:09

मैथिली दलित-विमर्श / तारानंद वियोगी

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:09, 27 दिसम्बर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=तारानंद वियोगी |अनुवादक= |संग्रह= }...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

जतबे कमजोर रीढ भ' गेल रहनि महामान्य के
ततबे गुहमा-गीज मचल रहै अकादमी-शाला मे।

मुदा किए हमरा अधला लागत?

ओहि दिन
'विशेष कोटि'क तैलीय द्रव सं
मालिश करबा रहल छला मठाधीश
निज दलितेश्वरक हाथें।

मुदा किए हमरा अधला लागत?

ओही दिन अजित आजाद
दलित-प्रश्न पर करबौने छला संगोष्ठी।
दलित-प्रश्न, जकरा सुनबा लेल दलितेश्वर नहि,
दलित-प्रश्न, जाहि पर बजबा लेल महामान्य मठाधीश नहि।

तैयो तं धन्य कही अजिते कें
जे कहुना मोहन भारद्वाज सं काज चलाओल।