Last modified on 27 दिसम्बर 2013, at 13:25

सुग्गा रटलक सीताराम / तारानंद वियोगी

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:25, 27 दिसम्बर 2013 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=तारानंद वियोगी |अनुवादक= |संग्रह= }...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

'सीताराम-सीताराम' रटलक सुग्गा
आ जनम अवधि पिजडा मे कैद रहल ।

मासु खाइ लेल पकडल गेल हारिल-बटेर
पडबा चिट्ठी पहुचाब' लेल पकडल गेल
मुदा सुग्गा पकडल गेल एही लेल
जे ओ 'सीताराम-सीताराम’ रटि सकैए।

रटैए सुग्गा सीताराम-सीताराम
आ भोगैए जनम-जनम के गुलामी;
 प्रभु-युग मे मुइल ओहि करोडो मनुक्ख जकां
जे राम-नाम पर काया कुर्बान केलक।

जागह बाबू जोगीलाल, जागह
उठि क' ठाढ भ' रहल छथि प्रभु लोकनि
आब तोरो रटाएल जेतह सीताराम
पिजडा आब तोरो लेल बनाएल जेतह।