Last modified on 24 मार्च 2014, at 13:47

कानून जकाँ आन्हर / मन्त्रेश्वर झा

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:47, 24 मार्च 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=मन्त्रेश्वर झा |अनुवादक= |संग्रह=...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

कानूने जकाँ जखन जखन
हमहूँ भऽ जाइत छी आन्हर
तखन तखन लालटेन हाथ मे लए
बाँटय लगैत छी प्रकाश
ने दिन बुझाइत अछि ने राति
लालटेन डोला के देखि लैत छी अवश्य
मुदा पता नहि जे ओहि मे
तेल रहैत छैक की पानि
हमरा लेल भऽ जाइत अछि लालटेन माने प्रकाश
देखबैत कहैत छी लोक कें लालटेन
बतबैत रहैत छी रास्ता
ककर की गन्तव्य
बुझबैत रहैत छी पूब-पच्छिम, उत्तर-दच्छिन
लोक हमरा पर हँसैत अछि
तऽ हम बिगड़ैत छी, चिकरैत छी
देखबैत रहैत छी रास्ता
बुझैत नहि अछि लोक
ओहि मे हमर की दोष
हम बनि जाइत छी कानून
भऽ जाइत छी आन्हर
आन्हर होइते कानूने जकाँ भऽ जाइत छी तटस्थ
आन्हर होइते, हँ आन्हर होइते निरपेक्ष
न्याय कऽ सकैत छी हमही
जेना करैत अछि कानून
जे होइत अछि आन्हर।