Last modified on 30 अप्रैल 2014, at 18:24

हे कविते / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:24, 30 अप्रैल 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

कल्याणी हे कविते कामिनि
करुणा क' जौं तों नहि अबित'
कोना बितबितहुँ कालक जामिनि...
जीवन केर सुख शून्य सेज पर
पसरि गेल छल कफनक चादरि
चान सनक यौवनक सेज पर
ससरि गेल छल बुन्नक बादरि
हे एहि शवक पुनर्जीवन हे
घोर तमक बिहुंसलि सौदामिनी...

भाव परक ढलढल फोँका में
छल उठि रहल विचारक ज्वाला
अकुलाहटिक व्यथा वाधा पर
लागल छल कुंठा केर ताला
पाकक कोट बनलि तुलसलि हे
आबि गेलीह सुसुत गजगामिनी...

तों उद्दाम बनलि सुरसरिता
मरू हिमश्रृंगक बीचक माला
बहा दहक पाहनक क्रूरता
मेंटा दहक मांटिक सभ ज्वाला
द्रवः द्रवः हे देवि दयामयी
सरसाबह साधक केँ स्वामिनि...