Last modified on 30 जून 2014, at 22:59

परबत पहाड़सँ अयलइ एक ब्राह्मण / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 22:59, 30 जून 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=देवी...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

परबत पहाड़सँ अयलइ एक ब्राह्मण
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
चलि भेला गंगा स्नान
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
माय हुनक रोकनि, बाबू परबोधनि
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
हंटलो ने मानथि ब्राह्मण डंटलो ने मानथि
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
चलि भेला गंगा स्नान
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
नहाय सोनाय ब्राह्मण भीड़ चढ़ि बैसला
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू
ताकय लगला सेवक केर बाट
यो अहाँ ब्राह्मण बाबू