Last modified on 1 जुलाई 2014, at 20:49

चैतक निन्दिया बैरिनियाँ हो रामा / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 20:49, 1 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=ऋतू ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

चैतक निन्दिया बैरिनियाँ हो रामा
सूतलि छलहुँ घर रे मन्दिरबा
सपनामे एला मनमोहन हो रामा
चैत के निन्दिया बैरिनियाँ
सगरि राति हम जागि गमाओल
बैरिनि भेल कर बेनियां हो रामा
चैत के निन्दिया बैरिनियां
बारह बरस पर रामचन्द्र लउटला
धनी देल विरह बजनियां हो रामा
चैत के निन्दिया बैरिनियां
जौं तोहे आहे सुन्दरि मोर अनुरागिनि
धरहमे भेष जोगिनियां हो रामा
चैत के निन्दिया बैरिनियां
नहि हम सोहागिनि नहि अनुरागिनि
मरब जहर बिख खाय हो रामा
चैत के निन्दिया बैरिनियां