Last modified on 2 जुलाई 2014, at 13:09

आजु चतुर्थी करू हर / मैथिली लोकगीत

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 13:09, 2 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKLokRachna |भाषा=मैथिली |रचनाकार=अज्ञात |संग्रह=विवि...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

मैथिली लोकगीत   ♦   रचनाकार: अज्ञात

आजु चतुर्थी करू हर, भेल भिनसर हे
विधकरी सेज उठाबथि, नीपल कोबर घर हे
पालो-पानि अनाओल, बीघ कराओल हे
राखल मधु-खाँड़ लगाय, कि हजमा नहायल हे
पंडित आबि पढ़ाओल, चतुर्थी कराओल हे
सखि दस मंगल गाओल, गाबि सनाओल हे
गौरी के बढ़नु अहिबात, सुन्दर बर पाओल हे