भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

कंकाले-कंकाल / यात्री

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:34, 16 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=यात्री |अनुवादक= |संग्रह=पत्रहीन ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

शिशु कंकाल
तरूण कंकाल
वृद्ध कंकाल
कंकाल वृद्धाक
कंकाल तरूणीक
कंकाल ननकिरबीक
फड़िच्छ चमड़ीवला कंकाल
टहलैत-बुलैत कंकाल
चलैत-फिरैत कंकाल
पड़ल कंकाल
ठाढ़ कंकाल
सूतल कंकाल
जागल कंकाल
सुखाएल थनबला कंकाल
चोकड़ गर्भबला कंकाल
मालगाड़ीबला साइडिंग दिश
लाइन केर दोबगली
भरि भरि आँजुर, भरि भरि मुट्ठी
दाना मिश्रित धूरा उठबैत कंकाल
सप्लाइ विभागक चपरीसक नजरि थाहैत कंकाल
दू दू टा प्लेटफार्म सोझाँसोझी टपैप
गोड़ पाँचेक कुलीक
एक मिसिया मात्सर्य, एकरती सहानुभूति
अनायास हासिल करैत कंकाल
जेठक दुपहरियामेँ जरैत कंकाल
गाया दिशुक कोनो ब्रोडगेज स्टेशन
कीछल हेतइ नाम?
अनुग्रह नारायण रोड़!
आ कि गुरारू! आ कि किदन!
मुदा एखन तँ शेष रहि गेल अछि
ओतुक्का स्मृतिक खतामेँ!
कंकाले कंकाल
कंकाले कंकाल...