Last modified on 16 जुलाई 2014, at 17:49

पत्रहीन नग्न गाछ (कविता) / यात्री

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:49, 16 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=यात्री |अनुवादक= |संग्रह=पत्रहीन ...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

पत्रहीन नग्न गाछ
लगइए कारी बस कारी, ठुठाकृति
अन्हार गुज्ज रातिमेँ
स्पंदनहीन, रक्ष, तक्षक शिशिर
पसरल अछि सबतरि दूबिक मोलाएम नवांकुर
बाँटि रहल रोमांचक - टटका प्रसाद सउँसे शरीरकेँ
मोन होइए, गाबी हन्हरिओमेँ वसन्तक आगमनी
आउ हे ऋतुराज,
नुकाएल छी कालक कोखिमेँ अनेरे।
दिअउ निश्छल आशीर्वाद
तकइए अहीँ बाट घासक पेंपी
आउ हे ऋतुराज