Last modified on 18 जुलाई 2014, at 16:10

हे तात / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:10, 18 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

ई कातर प्राण, चतुरथीचान -
धरक धरि ध्यान रहय अनुखन
ई बेलक गात सजय नवपात
पड़य हे तात, अहींक चरण

मनक सभबात बनय जलजात
कि भऽ बरू जाउ एकातक आक
फड़य सभ मौन मनोरथ फूल
रहय अथबा बनिकऽ मरू खाक

करी सभदान, लिअ भगवान
उपस्थित दीन धथूर क मन
ई कातर प्राण, चतुरथीचान -
धरक धरि ध्यान रहय अनुखन

हे त्रिपुरारि, अहॉक दुआरि,
सुनी दिन राति भिखारि भिखारि
सुनू अबधूत ई दास अभूत
ने माङत आब कही पर चारि

हरू सभ दोष, भरू संतोष
करू उद्घोष - ‘‘ई हम्मर जन’’
ई कातर प्राण, चतुरथीचान -
धरक धरि ध्यान रहय अनुखन