Last modified on 18 जुलाई 2014, at 16:35

रीति-ग़ज़ल / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 16:35, 18 जुलाई 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

भरल भवधार छै सजनी कोना पदवार हम करबै
पड़ल सब भार छै सजनी, कोना पतवार हम धरबै

बनलि हम रूप केर रानी, मुदा पंथक भिखारिन छी
जड़ल घटवार छै सजनी, कोना इजहार हम करबै

सुभावक नाव पर हमरा जखन धऽ कऽ चढा देतै
अड़ल इकरार छै सजनी, कोना इनकार हम करबै