Last modified on 8 अगस्त 2014, at 12:48

अन्तरराष्ट्रिय महिलावर्ष / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:48, 8 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

सुनलहुँ अछि-
मनुष्यक उत्पादन
एखन बन्द रहत।
अन्तरराष्ट्रिय महिला वर्षक
उपलक्ष थिकै
तैयो ई ब्रह्मा ओ परम्परा
नहि तोडै़ छथि,
रखने छथि सांँचा दू तरहक बनबाय
एक पुरूषक फराक
तथा दोसर महिलाक लेल।
साफ साफ पक्षपातपूर्ण
हिनक नीति थिकनि।
चीनीक दाम जेना खुलतामे एक,
तथा राशन दोकान लेल दोसर निर्धारित अछि।
हिनक एहि पक्षपातपूर्ण नीतिक विरूद्ध
रिट याचिका अदालमे दायर छनि,
विष्णुक खण्डपीठमे सुनवाइ तकर होइत छैक।
सुनलहुँ मनुष्योत्पादन कारखानाकेँ
छओ वर्षक हेतु बन्द करबाक आदेश छनि।
आबहु जँ समताक दृष्टि अपनौलनि नहि
बाइ फोर्स करा देल जयता रिटायर तखन।
सी. आर. दास पी. आर. दास एहिमे ओकील छला।
सृष्टिक संचालन लै
पुनि नवीन विश्वामित्र
बुद्धिक प्रसादात् अपने पर्याप्त छथि।