Last modified on 8 अगस्त 2014, at 12:59

कहने रहथि नेताजी / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 12:59, 8 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

जाहि रूपक जीवन हम
एखन धरि जीलहुँ अछि
से कोनो सर्कसक
एक पहिया साइकिल थिक।
पैडिल तँ छैक मुदा
ब्रेकक गंुजाइश नहि,
सीट लचकदार, मुदा हैण्डिल निपत्ता।
जगहे ने छैक तखन घण्टी लगतैक कतऽ?
चलबालै सड़क, मुदा
तामल धनखेती वा ताहूँसँ बत्तर।
ताहू पर भीड़-भाड़-जेना कोनो मेला हो,
बाट चलनिहारकेँ से चलबाक लूरि नहि,
कोन वाम, कोन दहिन
तकर किछु विचारे ने।
देहक सन्तुलने पर साइकिलकेँ
सन्तुलित राखब छै कते कठिन
अपने अनुमानि लियऽ।
तैयो ट्रक, टैªक्टर, बस, टेम्पू तर पड़लहुँ नहि
तकरो किछु कारण-विशेष
मात्र एतब जे
‘फ्रीव्हिल’ मे ट्रिक कोनो तेहने लगौने छी।
बाटेबाट ठाढ़े-ठाढ़ टोका नमस्कारे पर
कहने रहथि मुस्कुराइत
एक दिन नेताजी।