Last modified on 13 अगस्त 2014, at 18:12

भौजीक अवाहन / कालीकान्त झा ‘बूच’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:12, 13 अगस्त 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

कौआ माँझे घर बड़ेरी पर भोरे सँ कुचड़ै
भौजी अबिते हेती राॅची सँ सगुन उचडै़

अपने भैया भात पसौलनि,
हमरो सँ किछु काज करौलनि,
बारी सँ तिलकोर पात किछु आनै ‘बूच’ रै

दुःखी मोन केॅ पोटि रहल छथि,
काॅच दालि केॅ घोटि रहल छथि,
पुरूखो हाथे दलिघोटना वर बढ़िया उसरै

जल्दी - जल्दी केश छटौलनि,
गुलुरोगनक तेल लगौलनि,
दहिन आँखि फड़कै छनि लागथि बर खुश रै

भौजी औती ई रूसि रहता,
नोरे मे सभ व्यथा सुनौता,
हिनका खातिर आबि रहल छनि लेमनचूस रै