भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए
झूला / कालीकान्त झा ‘बूच’
Kavita Kosh से
Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:22, 2 सितम्बर 2014 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कालीकान्त झा ‘बूच’ |अनुवादक= |संग...' के साथ नया पन्ना बनाया)
झुलबथि कान्ह, झुलै छथि राधा
डूबि डूबि श्यामल नीरद मे-
चान उगै छथि आधा
झुलबथि कान्ह, झुलै छथि राधा।
कालिन्दी कूलक कदंब सँ-
रेशम डोरी लाधा
झूलि रहल मणि खचित मनोहर
झूला एक अबाधा
झुलबथि कान्ह, झुलै छथि राधा।
कंकण ताल खनन खन बँसुरी-
बर कमाल, स्वर साधा
खसली श्याम क कोर उछलिकऽ
सम्हरथि सम्हरथि जा जा,
झुलबथि कान्ह, झुलै छथि राधा।
देखि देखि नाँचल "बुचबा"
ताथैया-धिक्-धिक्-धा धा
विरह विकल मन विहग लेल ई-
याद भेल अछि व्याधा।
झुलबथि कान्ह, झुलै छथि राधा...