Last modified on 31 जनवरी 2015, at 18:15

इण्डिकेट-सिण्डिकेट / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 18:15, 31 जनवरी 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

इण्डिकेट सिण्डिकेट
वाम दिस खुरपी दहिन दिस बेंट।

साप ओ छुछुन्नरिकेँ भय गेल भेट,
अपनहिसँ दूनू ममोड़ि लेलनि घेँट।

अहमद ओ रामकेर भेल एक पेट,
सम्प्रदायवादक बँचल नहि छेँट।

पौलनि चौहान जखन चौबिसक रेट,
बँचला देसाइ भाई चौदह करेट।

मन्त्रि-परिषद वनमे भेलनि आखेट,
रामो सुभगपर चललनि चपेट।

वाम ओ दहिन छल पहिनहिसँ फेँट,
हाथी पर्यन्त भेला ‘आउट ऑफ डेट’।

डाङेकेँ टाङेमे लेलनि लपेट,
संसपाक संग द्रमुक रहला समेट।

सुब्रह्मण्यम्केर फराक भेलनि ‘सेट’,
गप्पाजी गनि रहला गप्पीकेर गेँट।

सत्ता परसि देल प्लेट पर प्लेट,
तखनहुँ लगैत करय के अवण्ड लेट’।

केन्द्रमध्य भेल खेल बेस ई क्रिकेट,
गेन फानि पार गेल इण्डियाक ‘गेट।

फानल ‘फिरै’ए तमाम अलगटेंट,
‘बतहू’ बलेल सेहो बाँटथि ‘बुकलेट’।

रचना काल 1969 ई.