Last modified on 16 मई 2015, at 10:51

जन्म-दिवस / प्रतिपदा / सुरेन्द्र झा ‘सुमन’

Sharda suman (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 10:51, 16 मई 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ |अनुवादक= |सं...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

जन्म-दिवस थिक, माय गोसाउनि मनबथि लय फल-फूल
क्यौ सुरभित तन सिङरहार सम झहरि चढ़य पद-धूल
पिता आइ पूजा-आसनपर, मंगल चण्डी - पाठ
जुटल बाधाबा देबय आगत मित्र-मण्डलिक ठाठ
रंग - विरंगक पत्र डाकसँ अभिनन्दनकेर छन्द
जन्म-दिवस थिक हमर आइ, घर भरि उमड़ल आनन्द
गणक गुनथि ग्रह वर्ष-प्रवेशक शुभसूचक अवदात
किन्तु गनी हम पलक जीवनक बीतल अछि कत तात
संचित-आयु कोषसँ होइछ श्यास-श्वास व्यय हन्त!
वर्ष-प्रवेशक हर्ष-अमृतसे घोरल विषमय अन्त