Last modified on 5 अगस्त 2015, at 11:20

विसर्जन / राजकमल चौधरी

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:20, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हे शब्दक पुहुप-माल,
हे कविता कमल-काल,
भाषा मन्दिरक देवी पर चढ़ि बनि गेलाह तोँ निर्माल
आब तोहर नइँ आवश्यकता, एहि मन्दिरसँ टरि जाह

करइ छी तोहर विसर्जन
हे कल्पने चिर-कुमारि
हे रहस्यमयि, हे प्रेमिके सुकुमारि,
जीवनक सत्यसम्मुख गेलउँ तोहर नेह सभटा हारि
आब तोहर नइँ आवश्यकता, तोँ अप्पन देश घुरि जाह

करइ छी विसर्जन
हे हमर आत्मा, हे कवि
देखबह जुनि निर्वसना निशा छवि
उगि रहल अछि गगनमे ज्योतिक देवता, रवि
आब तोहर नइँ आवश्यकता, निद्रामे मरि जाह
करइ छी तोहर विसर्जन