Last modified on 5 अगस्त 2015, at 11:26

परकीया नायिकाक प्रति / राजकमल चौधरी

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:26, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हुनकर अकारण क्रोध अहाँक हृदयमे पैसि गेल अछि
जेना पातर कारी तग। रुमालपर
फुल जुनि काढ़ू-बनि जायत अनचोकेँ गहुमन साँप!
फन काढ़ि लेत अतीतक निनायल स्मृति...
हुनकर अकारण क्रोध, आ औखन हमर सकारण सिनेह
आबो बाजू, की लेब अहाँ -
रुमालपर चम्पाक फूल, अथवा फन काढ़ैत साँप?
आबो बाजू, किएक नहि अयलहुँ ओहि साँझ
धारक कात नाओ ल’
करिते रहि गेलहुँ हम राति भरि प्रतीक्षा!
ओहि साँझ नहि अयलहुँ अहाँ धारक कात-
रातिमे छल अहाँक विवाह!
नदीमे छल तखनो पानि अथाह...
आ, एखनो जीवित अछि हमर सकारण सिनेह
आ, एखनो हुनकर अकारण क्रोध झहरैत अछि!
अहाँ बरखाक अथाह नदी छी
आ, हम किनारपर ठाढ़ देखि रहल छी
अपन डूबल नाओ!

(मिथिला मिहिर: 10.6.62)