भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

पितृ-ऋण / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:43, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

हमर पिता छलाह एकटा सार्थक शब्द
हम शब्दक सार्थकताकेँ
अविश्वसनीय कहैत छी
हमर पिता रहैत छलाह मूल्यमेे,
अभिव्यक्तिमे, नीतिमे,
अर्थवत्तामे
हम व्यक्तित्वक मात्र निरर्थकतामे
जीवित रहैत छी
पितृ-ऋणसँ मुक्त होयबाक
आन कोनो उपाय
हमरा नहि अछि
कहिओ नहि हैत
कहिओ नहि हैत

(मिथिला दूत, राजकमल विशेषांक: फरवरी-अप्रील, 1968)