भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

प्रकृतिक विषय मे / राजकमल चौधरी

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 11:48, 5 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=राजकमल चौधरी |अनुवादक= |संग्रह= }} {{KK...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

कवि कोकिल कहैत छलाह, मदालसा ई प्रकृति छथि कृष्णकामिनी
राधा, अदृश्य अकल्पनीय अलौकिक अथवा कोनो प्रकारेँ अज्ञेय
नहि छथि हमर काव्य-कन्या
प्रकृति
-तीनू काल, दसो दिशा, अठारहो सत्यसँ संयुक्त
चन्द्रमा, वसन्त, रेंची-तोरीक स्वर्ण-पीताम्बर पहिरने पृथ्वी बधू
मेघ, बरखा, इजोरिया, अकस्मात् खिड़की फोलिकय देखल गेल
नदीक ओहि पार ऊगल अछि सूर्य,
चन्द्रमल्लिका,
आ हमरा चारूकात पसरल ई नील-लोहित आकाश
हमर ई काव्यकन्या, हमर ई पृथ्वीवधू, हमर ई लौकिक आ दृश्य प्रकृति
हमर जीवनमे आ हमर कवितामे
जीवित छथि, जागल छथि
एहि नागरिक यान्त्रिक निरीह पशुवत् जीवनकेँ
कविता बनयबामे
हमरे जकाँ, हमरे कवि जकाँ लागल छथि, जागल छथि
प्रकृति

(आखर, राजकमल स्मृति अंक: मइ-अगस्त 1968)