Last modified on 10 अगस्त 2015, at 14:05

विवेकक श्राद्ध / चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:05, 10 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=चन्द्रनाथ मिश्र ‘अमर’ |अनुवादक= |...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

हम सब जेहिमे जन्म लेल अछि
ताहि युगक किछु चित्र देखि ली,
जे कहबथि राष्ट्रक निर्माता
तनिक पवित्र चरित्र देखि ली।
नवताकेर उज्ज्वल प्रकाश मे
आइ विवेकक श्राद्ध अनुष्ठित,
दय गरदनि आइ ज्ञानकेँ
आसनपर विज्ञान प्रतिष्ठित।