भारत की संस्कृति के लिए... भाषा की उन्नति के लिए... साहित्य के प्रसार के लिए

जागरण / जयनारायण झा 'विनीत'

Kavita Kosh से
Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 17:40, 19 अगस्त 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=जयनारायण झा 'विनीत' |अनुवादक= |संग्...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)
यहाँ जाएँ: भ्रमण, खोज

आइ धरि जगलहुँ अहाँ नहि, और सब कहिआ न जागल,
जागु, शारद-शशि-सुयशमे कलुष काजर धीर लागल।
भाग्य भवमे होड़ लागल अछि, अहीं धरि छी अभागत,
भेल अछि प्रतिकूल विश्व-विार-धारा बूझि पागल।

आउ, आबहु तँ अहाँ उठि देखु जीवन-युद्ध बाझल,
पार्थ भऽ पाछाँ छी, कोन विधि ई नीक लागल?
अउ, शौर्य देखाउ स्वत्वक समर दुस्तर गेल लाधल,
छोडु आलस वृत्ति आबहु बहममे की की न त्यागल?

की अहाँ पहिने रही, की आइ छी, ई तँ विचारू,
वीर-युगमे छी अहाँ, हुंकार सुनु, युग-धर्म धारू।
होउ विक्रम व्योममे धु्रव, युद्ध दिग्भ्रममे सम्हारू,
दस्यु-शिरसँ अपन जग-गुरु-मुकुट तँ आबहु उतारू।