Last modified on 6 अक्टूबर 2015, at 03:02

तकैत हंस समुदाय / नारायण झा

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 03:02, 6 अक्टूबर 2015 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=नारायण झा |अनुवादक= |संग्रह=प्रति...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

अछि कोइली
कोइला सन कारी खटखट
स्वर हुनक छनि
ओतबे मनमोहक
अछि अनघोल एखन सभतरि
कान पाथि कतबो अँखियासब
सुनैक अभ्यास लागि गेल अछि
कौआक काँउ-काँउ
कौआक झाँउ-झाँउ।

अछि कोइली मुँह बिदका बैसल
कौआ सभतरि एखन अछि पैसल
टुक-टुक तकैत हंसक समुदाय
बाट निहारैत, आँखि पसारि
हिनका पर कोनो ने राय-दोहाय
माझ ठाम अछि उल्लू पग-पग
दिन-राति हुनके जयकारा
गेयानी चिड़ै सभ अपन पाँखि समेटि
खोप मे छथि चुप्पे दुबकल
निरतागति भ' रहलै आब चीलो-बाज
बगड़ा-मेना दुबकि डारि त'र
फबकीक क' रहलै विचार
जखने फबकी सुतरि जाइत छैक
लूझि मेटाबय पेटक आगि
नहि त ओ कहैत छैक
हमहुँ करैत छी शाकाहार।