Last modified on 29 फ़रवरी 2016, at 14:13

मुगदैर मारू / कस्तूरी झा ‘कोकिल’

Lalit Kumar (चर्चा | योगदान) द्वारा परिवर्तित 14:13, 29 फ़रवरी 2016 का अवतरण ('{{KKGlobal}} {{KKRachna |रचनाकार=कस्तूरी झा 'कोकिल' |अनुवादक= |संग्र...' के साथ नया पृष्ठ बनाया)

(अंतर) ← पुराना अवतरण | वर्तमान अवतरण (अंतर) | नया अवतरण → (अंतर)

नर-पिशाच नाचै अछि देखू,
ता-ता-ता-ता थैया।
पीबै छथि शोणित कनियाँ केर
बड्ड जुलुभ ई भैया।
पहिनें माँगलेन हीरो होण्डा,
पाछाँ रंगीन टी. भी.।
अंखा, पंखा, फीरिज से हो,
अब कोना कऽ जी.बी.?
मासे-मासे एत्ते टाका,
चलतेन कोनाँ गाड़ी?
करजा काठि पठौनें छी कंहुनाँ,
बेटी लेल दुइ साड़ी।
खेत बिकागेल, घोॅर बिकागेल,
आओर बिकायल, बछिया।
थारी, लोटा नैं अछि किछुओ,
नैं बाबाकेर गछिया।
तूहीं बताबह कोनाँ बचाबी?
ई हालत में धीया।
मुगदैर मारु नर पिशाच केॅ,
करियौ छीया-छीया।

-17.11.1992